परिचय
चेतना समिति मिथिला - मैथिली के शीर्षस्थ संस्था अछि जे भाषा, साहित्य, कला एवं संस्कृति के सरंक्षण और विकासक लेल निरंतर काज करैत अछि। एकर स्थापना सन १९५४ ई में भेल अछि आ संस्थाक मुख्यालय पटना में अछि। ई संस्था मैथिली भाषा के बढ़ावा देबय और मिथिला के विकासक लेले बहुत रास कार्यक्रम आयोजन करैत रहैत अछि। विगत अनेकों वर्ष सँ अनवरत मिथिला - मैथिली के विकास में महत्वपूर्ण भूमिका के निर्वहन करैत आबि रहल अछि।